भ्रूण-हत्या
माय देवी छी
सृष्टक रचयता
मानथि सब !!
बहिन पर
अप्पन नै कोनो सक
जिम्मेदारी छी !!
कनियाँ चाही
जग-सुन्नरिये टा
सबके चाह !!
संतान रुपे
बस बेटे टा चाही
बेटी समस्या !!
गर्भ-धारण
करबा परिक्षण
इच्छित नेन्ना !!
पबैत रही
मनोवांछित फल
प्रवृति दोष !!
बेटी क मारि
सुपुत्र जन्मायब
वंश बढत !!
बेटाक लेल
कनियाँ कोना लैब
भावी समस्या !!
रोकी तत्क्षण
कन्या भ्रूण-हत्या यौ
दृढ विचारि !!
राजीव रंजन मिश्र
१५.०७.२०१२
No comments:
Post a Comment