गजल २०
चारि दिनक जिनगी ने कनबाक लेल छैक
एक्कहूँ क्षण बेकार ने करबाक लेल छैक
दैव छथि पठौने मनुक्खक योनि जखनहिं
चालि प्रकृति बिगारि ने चलबाक लेल छैक
संसार थिक समस्या सए भरल सभरुपे
बुधि विवेक निदान निकालबाक लेल छैक
ज्ञान कलश नुका कए राखब उचित नहिं
मुहँ त उचित विहित बजबाक लेल छैक
नेन्नहिं सए ने कखनो सीख राखल सभटा
नेन्ना त पैघक कोराम' पलबाक लेल छैक
पैघ भेनाईये टा ने दम्भक बात छी कखनो
पैघत्वत' सदिखन निमाह्बाक लेल छैक
तोचाहिंची आ नोंकझोंक कैल गेल बहुतहिं
प्रयोजन नब समाज गढ़बाक लेल छैक
"राजीव" बड्ड कैल गेल राजनीति सभगोटे
पूर्वाग्रह छोरिकँ आगू बढबाक लेल छैक
(सरल वार्णिक बहर,वर्ण-१७)
राजीव रंजन मिश्र
No comments:
Post a Comment