जाड़क बाबैत
भोरे सुरूज देर करैथ
आ दिन जल्दीसँ झाँपैत
नेनासँ बूढ पुरानक देखू
हाथ पायर अछि काँपैत
सुतल जवानी तानि चदरिया
ई थिक जाड़क बाबैत !
छायल मुहँ पर हरियरी
गाछ बिरीछ सब जागल
लहलही देखू जगती कए
कोने कोण रंग पसारल
मोन मगन अछि गाबैत
ई थिक जाड़क बाबैत !
क्यौ काँपि रहल जाङे थर थर
माघ पूस केर कनकन्नी छैक
कैलक सभटा ई अधमौगैत
बुढ बिप्पनकँ गर्दन्नी छैक
सदिखन जीनगीकँ सिहराबैत
ई थिक जाड़क बाबैत !
रोपनी छँटनी कैल अखारक
जौं भेटल समुचित अगहनमे
पुलकित मोने चौक चौबटिया
रभसि रहल सब जीवनमे
शीत प्रकृतक रूप सजाबैत
ई थिक जाड़क बाबैत !
सभ रूपे धरनीकँ गमकाबय
शीतक ई मदमातल काल
देह मोन जीवन दमकाबय
माहि मंडित भेल तरुअर ताल
अभरन भरिगर अछि पहिराबैत
ई थिक जाड़क बाबैत !
राजीव रंजन मिश्र
भोरे सुरूज देर करैथ
आ दिन जल्दीसँ झाँपैत
नेनासँ बूढ पुरानक देखू
हाथ पायर अछि काँपैत
सुतल जवानी तानि चदरिया
ई थिक जाड़क बाबैत !
छायल मुहँ पर हरियरी
गाछ बिरीछ सब जागल
लहलही देखू जगती कए
कोने कोण रंग पसारल
मोन मगन अछि गाबैत
ई थिक जाड़क बाबैत !
क्यौ काँपि रहल जाङे थर थर
माघ पूस केर कनकन्नी छैक
कैलक सभटा ई अधमौगैत
बुढ बिप्पनकँ गर्दन्नी छैक
सदिखन जीनगीकँ सिहराबैत
ई थिक जाड़क बाबैत !
रोपनी छँटनी कैल अखारक
जौं भेटल समुचित अगहनमे
पुलकित मोने चौक चौबटिया
रभसि रहल सब जीवनमे
शीत प्रकृतक रूप सजाबैत
ई थिक जाड़क बाबैत !
सभ रूपे धरनीकँ गमकाबय
शीतक ई मदमातल काल
देह मोन जीवन दमकाबय
माहि मंडित भेल तरुअर ताल
अभरन भरिगर अछि पहिराबैत
ई थिक जाड़क बाबैत !
राजीव रंजन मिश्र
No comments:
Post a Comment