Friday, February 15, 2013

की जनमदिन की मरन दिन
दिन सभटा होय एक समान
कैल धैल रहत जेहन अपन
भेटत तेहने मान आर दान

किछु काज करी हम जीवनमे
सुच्चा काज होइ जकर नाम
मोन सन्तोषे भरल रहैक आ
बनल रहैक सब ठाम सुनाम

जन्मदिनत' घटा दैत छैक आरो
जीनगीक अवधिसँ एक टा साल
हम बुरिबक बनिकँ खुशी मनाबी
कलचक्र केर हम बुझल ने ताल

दिन वैह नीक जे लागल किनकोमे
ने हँसी ठट्ठामे आ ने खाय पीबयमें
भगवान कहब हम सदति यैह तोरा
रखिह' विवेक बचल बस जीबयमें 


@ राजीव रंजन मिश्र 

No comments:

Post a Comment