Friday, May 2, 2014

गजल-२२७ 

मरजीकेँ अपने रहि चलैत अछि आब
हमहीँ टा काबिल छी कहैत अछि आब

ब्यवहारक जे भेटय दरिद्रछिम्मरि तँ 
बऱ अजगुत ई लीला लगैत अछि आब 

संस्कारक ने कोनो रहल ग' ठेकान 
जे ग्यानी से बड़का लठैत अछि आब 

करनी नै कथनी टा हजार गजकेँ ल' 
गंगाजलमे चानन घसैत अछि आब 

छी कारन बस अतबे दुखक तँ राजीव 
ई गौरब जे सभटा अछैत अछि आब 

222 222 121 221 
@ राजीव रंजन मिश्र

No comments:

Post a Comment