Thursday, March 8, 2012


आबु होरी खेली हम सब,पान आ मखान सन!
आबु होरी खेली हम सब,मिथिलाक बखान सन!!
आऊ मनावी होरी जमि क,अबीर आ गुलाल सँ!
जे मोन ओत-प्रोत भ जै,सुमधुर मिष्ठान्न सन!!

आबु होरी खेली हम सब,नारिक प्रति सम्मान सन!
आबु होरी खेली हम सब,सदभावना सँ मोन- प्राण सन! 
जोर जबरदस्ती नहि करी, आ नै मचाबी ओ हूड़दंग!
जे बनि जै पूरा टोल, रातिक  टटूआयल श्मशान सन!!

आबु होरी खेली हम सब,राधा-कृष्ण रसिया महान सन!
आबु होरी खेली हम सब,पुनीत-पावन ब्रजधाम सन!!
आऊ मनावी होरी जमि क,एहि शपथ आ संज्ञान सँ!
जे उतरै नहि जल्दी,होरी में लागल भांग सन!!

आबु होरी खेली हम सब,स्वतंत्रताक शान सन!
आबु होरी खेली हम सब,गणतन्त्रक मान सन!!
भरि-भरि पिचकारी,मारी फुहार तीन रंग केर!
जे जतय खसै,ओतय बनि जाय हिंदुस्तान सन!!

---राजीव रंजन मिश्र 
०७/०३/२०१२

No comments:

Post a Comment